पर्यावरण बचाउ- मैथली कबिता

  • भदौ १०, २०७९
  • १३३३ पटक पढिएको
  • सिरहा टाइम्स
alt

हरियर गाछ लगाउ , पर्यावरण बचाउ ।

वनजंगल के भेल विनाश , वृक्षरोपण करबाउ ।

जैसन अन्त्य भेलै डाइनोसर के, वैसन प्रलय नै लाउ ।

हरियर गाछ लगाउ , पर्यावरण बचाउ ।

दुनियाँ जगत के श्रेष्ठ हे मानव, सुनु हमारी विन्ती भाव।

कार्बन नै उत्सर्जन करियौ, वायुमण्डल पर परल प्रभाव।

हरियर गाछ लगाउ , पर्यावरण बचाउ ।

जलवायु परिवर्तन भेलै, जलचक्र मे येल रुकाव ।

पानी के दुरुपयोग नै करियौ, निर्मल जल के भेल अभाव।

हरियर गाछ लगाउ , पर्यावरण बचाउ ।

मौसम ॠतु साथ नै दै छै, बेमौसमी बर्षा छै घनघोर।

रौदी पैर गेल खेती समयमे , मनसुनी बादल छै कमजोर।

हरियर गाछ लगाउ , पर्यावरण बचाउ ।

बरहल तापक्रम भु-मण्डलके , गर्मी भेलै बेजोर।

उर्वर भुमिके भेल कटानी नदि मचाबै सोर।

हारियर गाछ लगाउ , पर्यावरण बचाउ ।

वातावरण मे भेल मिसावट , बरहे प्रलयके ओर।

अपने पैर मे चले कुरहारी , कटे जीवन के डोर।

हरियर गाछ लगाउ, पर्यावरण बचाउ।

वायु प्रदुषण , जल प्रदुषण , ध्वनी प्रदुषण के दुर हटाउ ।

करु संरक्षण भु-मण्डलके स्वच्छता के अभियान चलाउ ।

हरियर गाछी लगाउ , पर्यावरण बचाउ ।

आहा छि सब स ज्ञानी यौ मानव , अंहि छियै वैज्ञानी।

अहि के राज चले सब प्राणी पर, सब के करु कल्याणी ।

हरियर गाछ लगाउ , पर्यावरण बचाउ ।

वन जंगल के भेल विनाश वृक्षरोपण करबाउ।

लेखक: राज कुमार साफी

प्रतिक्रिया दिनुहोस

बोदे बर्साईन नगरस्तर ...

बोदे बर्साईन , सप्तरी : २८ पौष : उमेश कुमार साह बोदे बर्साईन : स्वास्थ्यका लागि खेलकुद रास्ट्रका लाग ...

घर–आँगनमै मधुमेह जाँ ...

रहमुल लहान, २८ पुस । सप्तरीको बोदे बर्साईन नगरपालिकाले नागरिकको स्वास्थ्य अवस्था सुदृढ बनाउने र नसर् ...

राष्ट्रसेवक सहकारीको ...

रहमुल, लहान, २८ पुस । “एकको लागि सबै र सबैका लागि एक” भन्ने मूल नारालाई आत्मसात गर्दै रा ...

सिरहा टाइम्स मिडिया प्रा.लि. द्वारा संचालित सिरहा टाइम्स डटकम

free stat counter

मिडिया प्राधिकरण, मधेश प्रदेश दर्ता नं. : ००२४/०८०/०८१

मिडिया काउन्सिल, मधेश प्रदेश सूचीकरण : २७/०८०/०८१