Siraha Times
ताजा समाचार

पर्यावरण बचाउ- मैथली कबिता

  • भदौ १०, २०७९
  • १४७१ पटक पढिएको
  • सिरहा टाइम्स
alt

हरियर गाछ लगाउ , पर्यावरण बचाउ ।

वनजंगल के भेल विनाश , वृक्षरोपण करबाउ ।

जैसन अन्त्य भेलै डाइनोसर के, वैसन प्रलय नै लाउ ।

हरियर गाछ लगाउ , पर्यावरण बचाउ ।

दुनियाँ जगत के श्रेष्ठ हे मानव, सुनु हमारी विन्ती भाव।

कार्बन नै उत्सर्जन करियौ, वायुमण्डल पर परल प्रभाव।

हरियर गाछ लगाउ , पर्यावरण बचाउ ।

जलवायु परिवर्तन भेलै, जलचक्र मे येल रुकाव ।

पानी के दुरुपयोग नै करियौ, निर्मल जल के भेल अभाव।

हरियर गाछ लगाउ , पर्यावरण बचाउ ।

मौसम ॠतु साथ नै दै छै, बेमौसमी बर्षा छै घनघोर।

रौदी पैर गेल खेती समयमे , मनसुनी बादल छै कमजोर।

हरियर गाछ लगाउ , पर्यावरण बचाउ ।

बरहल तापक्रम भु-मण्डलके , गर्मी भेलै बेजोर।

उर्वर भुमिके भेल कटानी नदि मचाबै सोर।

हारियर गाछ लगाउ , पर्यावरण बचाउ ।

वातावरण मे भेल मिसावट , बरहे प्रलयके ओर।

अपने पैर मे चले कुरहारी , कटे जीवन के डोर।

हरियर गाछ लगाउ, पर्यावरण बचाउ।

वायु प्रदुषण , जल प्रदुषण , ध्वनी प्रदुषण के दुर हटाउ ।

करु संरक्षण भु-मण्डलके स्वच्छता के अभियान चलाउ ।

हरियर गाछी लगाउ , पर्यावरण बचाउ ।

आहा छि सब स ज्ञानी यौ मानव , अंहि छियै वैज्ञानी।

अहि के राज चले सब प्राणी पर, सब के करु कल्याणी ।

हरियर गाछ लगाउ , पर्यावरण बचाउ ।

वन जंगल के भेल विनाश वृक्षरोपण करबाउ।

लेखक: राज कुमार साफी

प्रतिक्रिया दिनुहोस

रसुवा बाढीमा खडकका ९ ...

ओम प्रकाश यादव लहान, भदौ १९ । रसुवामा आएको विनाशकारी बाढीमा आफ्ना नागरिक गुमाएको पीडामा रहेको सप्तरी ...

तरकारीदेखि सीप र बचत ...

रहमुल, सिरहा, १९ भदौ । सिरहाको नवराजपुर गाउँपालिकाका दलित तथा विपन्न बस्तीमा कृषि तथा जीविकोपार्जन क ...

प्राकृतिक विपत्तिमा ...

लहान । नेपालमा प्राकृतिक विपत्तिका कारण हरेक वर्ष ठूलो जनधनको क्षति हुने गरे पनि विपद्पछि पीडित नागर ...

सिरहा टाइम्स मिडिया प्रा.लि. द्वारा संचालित सिरहा टाइम्स डटकम

free stat counter

मिडिया प्राधिकरण, मधेश प्रदेश दर्ता नं. : ००२४/०८०/०८१

मिडिया काउन्सिल, मधेश प्रदेश सूचीकरण : २७/०८०/०८१